You can access the distribution details by navigating to My pre-printed books > Distribution

Add a Review

Gamak Jingi (eBook)

Collection of Short Stories by Sh. Jagdish Prasad Mandal.
Type: e-book
Genre: Literature & Fiction
Language: Maithili
Price: ₹100
(Immediate Access on Full Payment)
Available Formats: PDF

Description

1942-43 क बंगालक अकालक विषयमे अमर्त्‍य सेन लिखै छथि जे ऐ अकालमे बंगालमे लाखक-लाख लोक मुइलाह (फेमीन इन्‍क्वायरी कमीशनक अनुसार 15 लाख) मुदा अमर्त्‍यक एकोटा सर-सम्बन्धीक मृत्यु ओहिमे नहि भेल। तहिना मिथिलाक 1967 ईस्‍वीक अकालमे भारतक प्रधानमंत्रीकेँ देखाओल गेलन्हि जे केना मुसहर लोकनि बिसाँढ़ खा कऽ अकालसँ लड़ि रहल छथि, मुदा एहिपर कथा लिखल गेल 2009 ईस्वीमे जगदीश प्रसाद मण्‍डलजी द्वारा। आ ऐ विलम्बक कारण सेहो स्‍पष्ट अछि। मैथिली साहित्यमे जे एकभगाह प्रवृत्ति रहल अछि, ताहि कारणसँ अमर्त्‍य सेन जकाँ हमरो साहित्यकार सभ ओइ महाविभीषिकासँ ओतेक प्रभावित नहि भेल होएताह। आ एतए जगदीश प्रसाद मण्‍डल जीक कथा मैथिली कथा धाराक यात्राकेँ एकभगाह होएबासँ बँचा लैत अछि।
ऐ संग्रहक सभटा कथा उत्कृष्ट अछि, रिक्त स्थानक पूर्ति करैत अछि आ मैथिली साहित्यक पुनर्जागरणक प्रमाण उपलब्ध करबैत अछि।

-गजेन्‍द्र ठाकुर
सम्पादक-
विदेह ई पत्रिका
www.videha.co.in

About the Authors

जन्म : 5 जुलाई 1947, बेरमा, जिला- मधुबनी (बिहार)
शिक्षा : एम.ए. द्वय (हिन्दी, राजनीति शास्त्र) जीवि‍कोपार्जन : कृषि (मुख्यत: तरकारी खेती) सम्मान/पुरस्कार : ‘विदेह सम्मान’, ‘विदेह भाषा सम्मान’, ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड’, ‘वैदेह सम्‍मान’, ‘यात्री सम्मान’, ‘विदेह बाल साहित्य पुरस्कार’ तथा ‘कौशिकी साहित्य सम्मान’सँ सम्मानित/पुरस्कृत। साहित्य लेखन : 2001 ईस्वीक पछाइतसँ...।

प्रकाशित पोथी : 1. गीतांजलि, 2. सुखाएल पोखरि‍क जाइठ, 3. तीन जेठ एगारहम माघ, 4. सरिता- गीत संग्रह। 5. इन्द्रधनुषी अकास, 6. राति-दिन, 7. सतबेध- कविता संग्रह। 8. पंचवटी- एकांकी संचयन। 9. मिथिलाक बेटी, 10. कम्प्रोमाइज, 11. झमेलिया बिआह, 12. रत्नाकर डकैत, 13. स्वयंवर- नाटक। 14. मौलाइल गाछक फूल, 15. उत्थान-पतन, 16. जिनगीक जीत, 17. जीवन-मरण, 18. जीवन संघर्ष, 19. नै धाड़ैए, 20. बड़की बहिन, 21. भादवक आठ अन्हार, 22. सधबा-विधवा, 23. ठूठ गाछ, 24. इज्जत गमा इज्जत बँचेलौं, 25. लहसन- उपन्यास। 26. कल्याणी, 27. सतमाए, -28. समझौता, 29. तामक तमघैल, 30. बीरांगना- एकांकी। 31. तरेगन, 32. बजन्ता-बुझन्ता- बीहैन कथा संग्रह। 33. शंभुदास, 34. रटनी खढ़- दीर्घ कथा संग्रह। 35. गामक जिनगी, 36. अर्द्धांगिनी, 37. सतभैंया पोखैर, 38. गामक शकल-सूरत, 39. अपन मन अपन धन, 40. समरथाइक भूत, 41. अप्‍पन-बीरान, 42. बाल गोपाल, 43. भकमोड़, 44. उलबा चाउर, 45. पतझाड़, 46. लजबि‍जी, 47. उकड़ू समय, 48. मधुमाछी, 49. पसेनाक धरम, 50. गुड़ा-खुद्दीक रोटी, 51. फलहार, 52. खसैत गाछ, 53. एगच्छा आमक गाछ, 54. शुभचिन्तक, 55. गाछपर सँ खसला, 56. डभियाएल गाम, 57. गुलेती दास, 58. मुड़ियाएल घर, 59. बीरांगना, 60. स्मृति शेष, 61. बेटीक पैरुख, 62. क्रान्तियोग, 63. त्रिकालदर्शी, 64. पैंतीस साल पछुआ गेलौं, 65. दोहरी हाक, 66. सुभिमानी जिनगी, 67. देखल दिन- लघु कथा संग्रह।
सम्पर्क- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरिया, जिला- मधुबनी, पि‍न- 847410, बिहार। मो. 9931654742
E-mail; jpmandal.berma@gmail.com

Book Details

ISBN: 9789387675186
Publisher: Pallavi Prakashan
Number of Pages: 251
Availability: Available for Download (e-book)

Ratings & Reviews

Gamak Jingi

Gamak Jingi

(Not Available)

Review This Book

Write your thoughts about this book.

Currently there are no reviews available for this book.

Be the first one to write a review for the book Gamak Jingi.

Other Books in Literature & Fiction

Shop with confidence

Safe and secured checkout, payments powered by Razorpay. Pay with Credit/Debit Cards, Net Banking, Wallets, UPI or via bank account transfer and Cheque/DD. Payment Option FAQs.